Pages

Tuesday, January 17, 2012

नीक लोक



नीक लोक ओ
जे रहैत अछि इमानदार
बेइमानी जखन धरि
रहैत अछि नुकाएल
नीक लोक ओ

जे रहैत अछि सत्यवादी
पकड़ल नहि जाइत छैक
जखन धरि झूठ
नीक लोक ओ
जे रहैत अछि संस्कारी
जखन धरि आगू नहि
आबैत छै राक्षसी प्रवृति
नीक लोक ओ
जे रहैत अछि विश्वासी
जखन धरि मुँह नहि खोलैत अछि
धोखा पाओल लोक
नीक लोक ओ
जे नहि करत अश्लील गप
जखन धरि आगू नहि
आबैत अछि कामुक प्रस्ताव
नीक लोक ओ
जे करत लोक संग मीठ गप
जखन धिर आगू नहि
आबैत छैक प्रताड़ित पत्नी

( हम पुछैत छी )

0 comments:

Post a Comment

Note: Only a member of this blog may post a comment.